राज्य मे मौलिक अधिकारक उल्लंघन भय रहल अछि : नित्यानंद

    0
    295

    मधुबनी, मिथिला मिरर: भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय कहलनि जे, नीतीश-लालूक सरकार राज्य मे अपराध व भ्रष्टाचार के संरक्षण दय रहल अछि। सरकार सूबे मे लोकतंत्र विरोधी कार्य कय रहल अछि। उक्त बात बिहार भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष नित्यानंद राय बेनीपट्टी प्रखंडक एकतारा गाम मे जिला भाजपा कार्यसमितिक बैसक मे कहलनि।

    ओ कहलनि जे, राज्य सरकार किसानक संग धोखाधड़ी कय रहल अछि। किसान स धान खरीदक नाम पर खानापूरी कायल जा रहल अछि। सूबे मे अपराधक ग्राफ तेजी सं बढ़ि रहल अछि। केंद्रक मोदी सरकार बिहारक विकास के लेल जे राशि दय रहल अछि ओ राज्य सरकार खर्च नहि कय पाबि रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, राज्य मे मौलिक अधिकारक उल्लंघन भय रहल अछि। भाजपा अहि मुद्दा पर चुप नहि रहत। वर्ष 2019 तथा 2020 हमार रहत अहि के शुभारंभ मधुबनीक धरती सं भय गेल अछि। पंडित दीनदयाल उपाध्याय के सपना के साकार केने बिना भाजपाक सपना पूरा नहि भय सकैत अछि।होगा।