आब पंचायत स्तर पर बनत प्रमाण पत्र, प्रखंडक नै काटय पड़त चक्कर

0
1004

सुपौल, मिथिला मिरर : जाति, आय, आवासीय सहित अन्य प्रमाण पत्र बनेबाक लेल एकटा खुशखबरी अछि। आब किनको एहि तरहक प्रमाण पत्र बनेबाक लेल प्रखंड कार्यालयक चक्कर नै लगाबै पड़त। आब पंचायतमे आरटीपीएस काउंटर खोलल जायत जतय जरूरतमंद लोक सभ अपन प्रमाण पत्र बनवा सकैत छथि। एहि संबंधमे अपर मुख्य सचिव पत्र लिख पंचायत स्तर पर निर्मित पंचायत सरकारी भवनमे आरटीपीएस काउंटर चालू करबाक निर्देश देलनि अछि। जारी आदेशक अनुसार पंचायत सरकारी भवनमे बनाओल जा रहल आरटीपीएस काउंटर पर पंचायती राज विभाग द्वारा कार्यपालक सहायक, अभ्यर्थि सभक आवेदन लेताह। एहिक बाद अंचलाधिकारी द्वारा डिजिटल हस्ताक्षर युक्त जाति, आवासीय, आय प्रमाण पत्र अभ्यर्थि सभकेँ देल जायत। ई सेवा बिल्कुल निश्शुल्क होयत।

पंचायत सरकारी भवन वला पंचायतें टामे इ सुविधा फिलहाल उपलब्ध हैत। ओना इ सुविधा ओहनो पंचायत सभमे शुरू होयत जतय सरकारी भवन नै छैक, मुदा अखनि नै। नव व्यवस्थाकेँ ल’ जारी आदेशमे  कहल गेल अछि जे ‘बिहार लोक सेवाओं का अधिकार अधिनियम अंतर्गत सामान्य प्रशासन विभाग द्वारा देल जाय वला सेवा जेना जाति आ आवासीय प्रमाण पत्र सिर्फ ऑनलाइनसँ  संबंधित आवेदन टा पर इ लाभ देल जायत जाएगा। ऑनलाइन कएल गेल आवेदनकेँ कार्यपालक सहायक द्वारा आरटीपीएस ऑनलाइनकेँ निर्धारित लिंकसँ समर्पित कैल जायत आ  समर्पित ऑनलाइन आवेदनकेँ प्रिंट क’ नागरिक सभकेँ उपलब्ध कराओल जायत। अंचलाधिकारी द्वारा निर्गत डिजिटल हस्ताक्षर युक्त जाति एवं आवासीय प्रमाण पत्र पर आरटीपीएस ऑनलाइन वेबसाइट पर अपलोड कैल जायत। आवेदक द्वारा माँग केलाह पर डाउनलोड क’ प्रिंट निर्धारित पहचान पत्रक आलोकमे कार्यपालक सहायक द्वारा लोक सभकेँ उपलब्ध कराओल जायत। फिलहाल एहि सेवाकेँ शुरू होयबाक खबरिसँ आम लोकक बीच खुशीक माहौल बनल अछि।