विद्यासागर आ सरस्वतीकें तेज धावककें पुरस्कार

    0
    335

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मैदान भीजल रहलाक कारण प्रतिभागी, स्कूलक शिक्षक आ नगर संसाधन केंद्रकें साधन सेवी’क बीच भेल बहसकें बाद प्रारंभ नगर स्तरीय स्पो‌र्ट्स सब जूनियर मीट तरंग प्रतियोगितामे सरकारी स्कूलक बच्चा अप्पन ऑलराउंडर प्रदर्शन सं जिलामे प्रतिनिधित्वक अवसर प्राप्त केलक।

    आदर्श मध्य विद्यालय लहेरियासरायमे 100 गुना 4 मीटरक रिला दौड़ प्रतियोगितामे शुभंकरपुर मध्य विद्यालयकें छात्रा सरस्वती कुमारी आ बालक वर्गमे विद्यासागर सब सं तेज धावककें खिताब जीतलक। अहि सं पूर्व शहरकें 4 दर्जन सं अधिक स्कूलक प्रतिभागीक उत्साह सं लवरेज प्रतियोगिताक उद्घाटन नगर बीईओ छठू यादव केलनि।

    इस अवसर पर साधनसेवी ललन कुमार, मुमताज फरहत, फिरोज आलम, बाल कृष्ण गोपाल आ राजकुमार महासेठके अलावा मेजबान स्कूलक प्रधानाध्यापक संजीव कुमार मिश्र सेहो उपस्थित छलाह। प्रतियोगिताके प्रथम चरणमे एथलेटिक्सकें मुकाबलामे बालिका वर्गक 400 मीटर दौड़मे बेला शंकर मध्य विद्यालयकें अंजली कुमारी त बालक वर्गमे राम चौक मध्य विद्यालयकें निखिल कुमार प्रथम स्थान प्राप्त केलनि।