प्रदर्शनक तैयारीमे जुटल ‘एआईडीएसओ’

    0
    412

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: छात्र एवं शिक्षा विरोधी रूसा सैमेस्टर सिस्टम विकल्प आधारित क्रेडिट प्रणाली सीबीसीएस व नीटक नीति वापस लेबा आदि ज्वलंत सवालकें लय दिनांक 30 मार्च कय बेतहासा फीस वृद्धि पर रोक लगेबा, स्कूलमे कक्षा 1 सं 5 प्रथा पुन: लागू करेबाक, पोस्ट मैट्रिक छात्रवृत्तिमे कएल गेल भारी कटौती वापस लेबाक, छात्रा पर बढ़ैत अपराध पर रोक लगेबाक आदि ज्वलंत मुद्दाके लेल मुख्यमंत्रीक समक्ष छात्र प्रदर्शनक लेल दरभंगामे जनसंपर्क अभियान चलेलक अछि। अभियान कपूर्री चौक सं दरभंगा रेलवे स्टेशन तक चलाओल गेल।

    छात्र प्रदर्शनकें सफल बनेबाक लेल दर्जनो छात्र छात्र-शिक्षक, शिक्षा प्रेमी, बुद्धिजीवी एवं आम लोक सं सहयोग एवं समर्थनक अपील केलक अछि। अहि मौक़ा पर संगठनके राज्य अध्यक्ष आशुतोष कुमार, राज्य सचिव रोशन कुमार रवि, राज्य उपाध्यक्ष लाल कुमार, राज्य कमिटी सदस्य विजय कुमार, निकोलोइ शर्मा, राजू कुमार, शिव कुमार, ललित कुमार, रवि रंजन, चंदन कुमार, दीपक कुमार, रजनीश कुमार, प्रदीप कुमार, मोहम्मद आसिफ रजा, सोनू कुमार आदि उपस्थित छलाह।