मुजफ्फरपुर मे आभूषण कारोबारी के गोली मारि कय 5.5 लाख लूटलक

    0
    278

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिलाक साहेबगंज के लोदिया पेट्रोल पंप के समीप मोटरसाइकिल सवार तीन गोट अपराधी आभूषण कारोबारी वैद्यनाथ सोनी के गोली मारि कय आभूषण, नगदी तथा मोटरसाइकिल समेत साढ़े पांच लाखक संपत्ति लूटि लेलक।

    घटना सोमदिन साँझ 6.25 बजे के अछि। व्यवसायी साहेबगंजक केशव चौक स्थित अप्पन दोकान के बंद कय रजवाड़ा हलीमपुर स्थित गाम वापस जा रहल छल। घटना के अंजाम देबाक बाद तीनू अपराधी साहेबगंज दिस भागल। जख्मी हालत मे व्यवसायी मोबाइल पर अप्पन छोट भाई अमरनाथ सोनी के घटना के जानकारी देलक।

    स्थानीय लोकक सहयोग सं वैद्यनाथ सोनी के इलाजक लेल ब्रह्मपुराक प्रसाद हॉस्पिटल मे भरती कराओल गेल। वैद्यनाथ के अपराधी पीठ मे दू टा गोली मारने अछि। पीड़ित के हालत गंभीर हेबाक कारण बयान नहि दर्ज। भगबा समय व्यवसायी दू टा अपराधी के पहचान कय लेने अछि।