दरभंगा, मिथिला मिरर: अपराधी के बढ़ैत मंसूबा आ प्रशासनिक सुरक्षा मे खामी के कारण आये दिन बिहार मे अपराधिक घटना मे लगातार वृधि भय रहल अछि। ताज़ा मामला दरभंगा जिलाक सिंहवाड़ा थाना अन्तर्गत कटरा गामक अछि, जतय देर राति दर्जनोक संख्या मे डकैत दरभंगा सिविल कोर्ट मे कार्यरत आदेशपाल सिद्धेश्वर ठाकुरक घर सहित 3 गोट घर मे उत्पात मचेलक।
डकैती के दौरान अपराधी बम स हमला कय सिद्धेश्वर ठाकुर के जान लय लेलक। ग्रामीणक अनुसार लगभग दर्जन भरि अपराधी पहिने नवीन चौधरी के घर मे घुसल आ लूट-पाट केलक। शोर-शराबा सुनि कय पड़ोसी सिद्धेश्वर ठाकुर घर स बाहर निकललाह जाहि के बाद डकैत सिद्धेश्वर ठाकुर पर बम फ़ेंक देलक। जाहि मे मौक़ा पर हुनकर मौत भय गेलनि। घटना के बाद पुलिस मामलाक जांच-पड़ताल मे जुटल अछि।



