डीएमसीएच मे जल्दिये बनि कय तैयार होयत ट्रॉमा सेंटर

    0
    280

    दरभंगा, मिथिला मिरर: स्वास्थ्य विभागक प्रधान सचिव आरके महाजन तथा  भवन निर्माण विभागक प्रधान सचिव अमृत लाल मीणा बृहस्पति दिन डीएमसीएच के निरीक्षण केलनि। निरीक्षण के क्रम मे प्रधान सचिव डीएमसीएच के व्यवस्था, समस्या आ मरीजक परेशानी सं अवगत भेलाह।

    इमरजेंसी वार्डक निरीक्षण के क्रम मे महाजन कहलनि जे, एतय कोनो व्यवस्था नहि अछि। पूर्व स लंबित ट्रॉमा सेंटर के विषय मे बतेला पर पर ओ जल्दिये डीपीआर बनाकय 50 बेडक इमरजेंसी आईसीयू आ 150 बेडक जेनरल वार्ड बनेबाक पहल तेज करबाक निर्देश देलनि।

    ओ सर्जिकल भवनक स्थिति स अवगत होईत एकर रिपेयर पर सेहो विचार करबाक बात कहलनि। अस्पताल परिसर, पुरूष तथा महिला छात्रावास मे जलजमावक समस्या के दूर करबाक लेल प्रधान सचिव महाजन अंदर तथा बाहर के फ्लोर लेवल ऊंच करबाक बात कहलनि।