मिथिला मिरर, स्नेहा झा, पटनाः मैथिली भाषाक चर्चित पत्रकार आ मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा पी-एच.डी.क उपाधिसँ अलंकृत भेलाह। विश्वविद्यालय मैथिली विभाग, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, कामेश्वर नगर, दरभंगामे शनिदिन सम्पन्न भेल मौखिकी परीक्षाक उपरान्त विश्वविद्यालयक निर्णयानुसार 28 जुलाई 2026 केँ उप परीक्षा नियंत्रक डॉ. सुरेश पासवान हुनका पी-एच.डी.क उपाधि प्रदान कयलनि।
ललित नारायण झा द्वारा ‘‘समकालीन मैथिली पत्रकारिताक दशा ओ दिशा’’ विषयपर प्रस्तुत शोध-प्रबन्धक विश्वविद्यालयक विभिन्न प्राध्यापकसभ मुक्तकण्ठसँ प्रशंसा कयलनि। हुनकासभक अनुसार ई शोध-प्रबन्ध समकालीन मैथिली पत्रकारिताक नवीन स्वरूप, विकास-यात्रा तथा बदलैत प्रवृत्तिसभकेँ सम्यक् रूपेँ उद्घाटित करैत अछि। संगहि, मैथिली पत्रकारितापर कएल गेल ई शोध आगाँ आबयवला शोधार्थीसभ लेल अत्यन्त उपयोगी आ मार्गदर्शक सिद्ध होयत।
ललित नारायण झा ई शोधकार्य प्रो. (डॉ.) नारायण झाक शोध-निर्देशनमे सफलतापूर्वक सम्पन्न कयलनि अछि।
मूल रूपसँ मधुबनी जिलाक मैलाम गाम निवासी स्वर्गीय राजेन्द्र झा आ स्वर्गीय निर्मला देवीक ज्येष्ठ पुत्र ललित नारायण झा विगत दू दशकसँ व्यावसायिक पत्रकारितासँ सक्रिय रूपेँ जुड़ल छथि। ओ करीब डेढ़ दशकसँ अधिक समयसँ मैथिली टेलीविजन आ डिजिटल पत्रकारिताक सशक्त आधारस्तम्भक रूपमे कार्यरत छथि।
15 अगस्त 2013 केँ राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीसँ मिथिला मिररक स्थापना कयलनि। मैथिली पत्रकारिताक इतिहासमे ई पहल डिजिटल तथा दृश्य-श्रव्य पत्रकारिताक क्षेत्रमे एकटा महत्त्वपूर्ण क्रान्तिक रूपमे देखल जाइत अछि। देशक विभिन्न प्रतिष्ठित मीडिया संस्थानसभमे कार्य करबाक अतिरिक्त ललित नारायण झा भारत सरकारक इलेक्ट्रॉनिक मीडिया मॉनिटरिंग सेंटर (EMMC) मे सेहो लगभग एक दशक धरि अपन सेवा दऽ चुकल छथि। समाचार-संग्रहण, लेखन, संपादन, एंकरिंग, वीडियो पत्रकारिता, डिजिटल मीडिया प्रबन्धन तथा इलेक्ट्रॉनिक मीडिया सहित पत्रकारिताक प्रायः सभ प्रमुख विधामे हुनका व्यापक अनुभव प्राप्त अछि।
पी-एच.डी.क एहि उपलब्धिपर सोशल मीडिया सहित विभिन्न माध्यमसँ हुनका लगातार शुभकामना, बधाई आ आशीर्वाद भेटि रहल छनि। मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार प्रो. भीमनाथ झा, प्रो. अरूण कुमार कर्ण, प्रो. (डॉ.) नारायण झा, प्रो. दमन कुमार झा, प्रो. अशोक कुमार मेहता, डॉ. सुरेश पासवान, डॉ. शैलेन्द्र मोहन मिश्र, पत्रकार विजय देव झा, कुन्दन कुमार मिश्र, प्रवीण झा सहित अनेको साहित्यकार, पत्रकार, शिक्षाविद् तथा मैथिलजन हुनका अपन शुभकामना आ शुभेच्छा प्रेषित कयलनि अछि।









