पटना-दिल्ली वंदेभारत ट्रेन शुरू होयबाक तैयारी अंतिम चरण मे

0
98

मिथिला मिरर, पटनाः पटना-दिल्ली रूट पर वंदे भारत एक्सप्रेस शुरू करबाक संभावना अब बेहद मजबूत भ’ गेल अछि। रेलवे सूत्रक अनुसार, पूर्व मध्य रेलवे क्षेत्र मे नया रेक पहुँचलाक बाद ट्रायल रन सफलतापूर्वक पूरा कएल गेल अछि, आ सेवा शुरू करबाक औपचारिक घोषणा जल्दीये होयबाक उम्मीद अछि। ई कदम बिहार आ दिल्ली बीच कनेक्टिविटी केँ उच्च स्तर पर पहुंचा सकैत अछि।
वंदे भारत एक्सप्रेस चलला सँ पटना-दिल्ली यात्राक समय 16-18 घंटा सँ घटिक’ लगभग 11-12 घंटा भ’ सकैत अछि, जे यात्रिक लेल एकटा पैघ़ सुविधा साबित होएत। सेमी-हाईस्पीड आधुनिक ट्रेनमे वातानुकूलित कोच, आरामदायक सीट, झटका-रोधी तकनीक, जीपीएस आधारित सूचना प्रणाली, बायो-वैक्यूम टॉयलेट आ ‘कवच सुरक्षा प्रणाली’ जेकाँ अत्याधुनिक फीचर देल जाएत। रेलवे विभागक कहब अछि जे ट्रेनक आंतरिक डिजाइन यात्रीक रोजाना आवश्यकता ध्यान मे रखि क’ तैयार कएल गेल अछि। ई सेवा शुरू भेला पर पटना, आरा, बक्सर, पंडित दीनदयाल उपाध्याय जंक्शन आ प्रयागराज मार्गक यात्रिकें विशेष लाभ भेट सकैत अछि। हालांकि अंतिम स्टॉपेज सूची रेलवे बोर्ड द्वारा घोषित कएल जायत।
पटना जंक्शन पर वंदेभारतक रखरखाव लेल विशेष तकनीकी टीम गठित कएल गेल अछि, आ नया मेंटिनेंस शेड मे आवश्यक उपकरण स्थापित कएल जा रहल अछि। रेलवे अधिकारीक अनुसार, ई ट्रेन शुरू भेला सँ बिहार-दिल्ली मार्ग पर व्यापार, शिक्षा, चिकित्सा आ नौकरी संबंधी यात्रा मे तेजी आएत, आ आर्थिक गतिविधि सेहो सकारात्मक रूप सँ प्रभावित होयत।
यद्यपि वंदे भारत एक्सप्रेस शुरू करबाक आधिकारिक तारीख अखन घोषित नहि भेल अछि, मुदा संकेत स्पष्ट अछि जे ई बहुप्रतीक्षित सेवा शायद नव वर्ष अथवा जनवरी मास मे शुरू भ’ सकैत अछि। बिहारक हजारो यात्री वंदे भारत एक्सप्रेसक उद्घाटनक घोषणा लेल उत्सुक्तापूर्वक प्रतीक्षा क’ रहला अछि।