मिथिला मिरर, पटनाः भारत आ दक्षिण अफ्रीका बीच खेलायल गेल तीन मैचक एकदिसवसीय शृंखला रोमांच आ उतार-चढ़ाव सँ भरल रहल, मुदा अंततः भारत शानदार प्रदर्शन करैत श्रृंखला 2-1 सँ अपन नाम कऽ लेलक। तेसर आ निर्णायक मुकाबला विशाखापत्तनम मे खेलायल गेल, जतए भारतक युवा आ अनुभवी खिलाड़ीक संयोजन अद्भुत टीम प्रदर्शन प्रस्तुत कएलक। दक्षिण अफ्रीका पहिने बल्लेबाजी करैत 270 रनक चुनौतीपूर्ण स्कोर ठाढ़ कएलक, जकर मुख्य श्रेय क्विंटन डी कॉकक 106 रनक शानदान पारी आ कप्तान टेम्बा बावुमाक 48 रनक पारी केँ जाइत अछि। हालांकि भारतीय गेंदबाज विशेष कऽ कुलदीप यादव आ प्रसिद्ध कृष्णाक सटीक लाइन-लेंथक कारणें दुनू गोटए चारि-चारि विकेट हासिल क’ विपक्षक रनगति पर अंकुश लगौने रहलाह।
जवाब मे भारतक शुरुआत अत्यंत सशक्त रहल। युवा बल्लेबाज यशस्वी जयसवाल अपन परिपक्व बल्लेबाजी सँ सभक ध्यान आकर्षित कएलनि। जयसवाल अपन एकदिवसीय क्रिकेट मैचक पहिल शतक बनौलनि आ 116 रन बना अंत तक टिकल रहलाह, जे भारतक जीतक नींव साबित भेल। रोहित शर्मा 75 रन बना कऽ टीमक आक्रमण कें मजबूती देलनि, जखन कि विराट कोहली 65 अभिजीत रन बना कऽ लक्ष्य केँ मात्र 39.5 ओवर मे आसानी सँ पूरा कऽ देलनि। भारत एकरूपी, नियंत्रित आ जिम्मेदार बल्लेबाजी करैत मैचक रफ्तार शुरू सँ अपना कब्जामे रखलक। तेसर मैच मे निर्णायक जीत भारतक मानसिक मजबूती आ रणनीतिक स्पष्टता दूनू केँ उजागर करैत अछि।
पूरा सीरीज मे भारतक प्रदर्शन उतार-चढ़ाव बला रहल, मुदा निर्णायक क्षण पर टीमक एकजुटता आ संयम महत्त्वपूर्ण भूमिका निभेलक। दक्षिण अफ्रीका दोसर मैचमे पलटवार करैत अपना देश सँ बाहर सभसँ पैघ रनक पाछाँ करैत जीत दर्ज कऽ शृंखला केँ एक-एक सँ बराबर पर आनि देने छल, मुदा तेसर मैच मे भारतक पलटवार दमदार रहल। गेंदबाजीमे कुलदीप यादव श्रृंखला भरि प्रभावी रहलाह, जखन कि बल्लेबाजी मे विराट कोहली लगातार रन जोड़ैत टीमक भरोसाक स्तंभ बनल रहलाह। ओहि कारणे हुनका प्लेयर ऑफ द सीरीज घोषित कएल गेल। तेसर मैच मे विस्फोटक शतक बनौनिहार यशस्वी केँ प्लेयर ऑफ द मैच घोषित कएल गेलनि।
ई शृंखला भारतक युवा खेलाड़ी केँ अवसर देबाक दृष्टि सँ सेहो महत्वपूर्ण रहल। युवा उभरैत प्रतिभा अपन क्षमताक प्रदर्शन कएलक, आ अनुभवी खलाड़ी अपन धैर्य आ जिम्मेदारी सँ टीमक स्तंभ बनल रहलाह। घरेलू मैदान पर दक्षिण अफ्रीका जकाँ मजबूत टीमक विरुद्ध सीरीज जीत कऽ भारतक आगामी अभियान विशेष कऽ चौंपियनशिप आ अंतरराष्ट्रीय दौरा सँ पहिने सकारात्मक संकेत प्रदान करैत अछि।






