पटना, मिथिला मिरर, स्नेहा झा: चुनाव सँ पहिने नीतीश कुमार एकटा बड़का घोषणा कयलनि आब बिहारक लोके केँ भेटत नौकरी मे प्राथमिकता। चुनावक साल मे बिहार सरकारक आजुक घोषणा मास्टर स्ट्रोक मानल जा रहल अछि। साउनक अंतिम सोम क नीतीश कुमारक एलान शिक्षक भर्ती मे डोमिसाइल लागू कयल जायत, एहि व्यवस्था केँ TRE-4 सँ लागू कयल जायत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन अपना एक्स हेंडल सँ लिखलनि – नवम्बर 2005 मे सरकार बनलाक बाद सँ हम सभ शिक्षा व्यवस्था मे सुधार करबाक काज क रहल छी। शिक्षा व्यवस्था केँ सुदृढ़ीकरण हेतु भारी संख्या मे शिक्षक नियुक्ति कयल गेल। बिहारक निवासी (DOMICILE) केँ प्राथमिकता देबाक हेतु शिक्षा विभाग केँ संबधित नियम मे आवश्यक संशोधन करबाक निर्देश देल गेल। ई TRE-4 सँ लागू कयल जायत वर्ष 2025 मे TRE-4 एवं 2026 मे TRE-5 केँ आयोजन कयल जायत। TRE-5 केँ आयोजन सँ पहिने STET केँ आयोजन करबाक निर्देश देल गेल। लगभग डेढ़ सालक प्रतिक्षा आ आंदोलनक पश्चात अभियर्थि सभक तपस्या पूर्ण भेल। अभियर्थि सभक एखनो एकटा मांग अछि जेँ TRE-4 सँ पहिने STET केँ आयोजन करओल जाय। पटना उच्च न्यायालय द्वारा सेहो अहि पर टिप्पणी कयल गेल।