भारत सरकार द्वारा 118 चाइनीज ऐप बंद, गेमिंग ऐप पब्जी सेहो प्रतिबंधित कएल गेल

0
1062

नई दिल्ली, मिथिला मिररः भारत सरकारक आईटी मंत्रालय एकटा आओर कठोर निर्णय लैत 118 चाइनीज ऐप केँ प्रतिबंधित कए देलक। एतबे नहि सरकार गेमिंग ऐप पब्जी केँ सेहो बंद कए देल गेल। फिलहाल पब्जी केँ भारत मे 3.3 करोड़ यूजर्स अछि। सरकार द्वारा जारी कएल गेल प्रसे रीलीज मे कहल गेल जे ई ऐप सभ डेटाकेँ सुरक्षित कऽ ओकरा स्थानांतरित करैत छल। हालांकि एहि मे कोनो देशक नाम नहि लेल गेल अछि मुदा परोक्ष रूप सऽ ई चीनक दिस इशारा छल।
हालांकि गेमिंग ऐप पब्जी बच्चा सभक मोन पर प्रतिकूल असर करैत छल आ एकर दुष्परिणाम कतेको बेर देखबा मे भेटल अछि। लाॅकडाउनक समय मे बच्चा सभक क्लास आॅनलाइन भऽ रहल अछि एहनमे ई गेमिंग ऐप सभ बच्चा सभक पढ़ौनी केँ सेहो प्रभावित करैत छल।