पटबनकें लेल अलग सं आठ घंटा बिजली देत सरकार

    0
    552

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: किसानकें खेतक पटबनक लेल विद्युत विभाग आब अलग सं बिजली लाइन मुहैया कराओत। अहिकेँ लेल किसानकें अलग सं विद्युत कनेक्शन लेबएं पड़त। विद्युत विभाग फिलहाल जिलाकें छह गोट पावर सब स्टेशन सं कृषि कार्यक लेल 24 नब फीडर निकालबाक काज आरंभ करवा। कृषि फीडर सं किसानक प्रत्येक दिन आठ घंटा पटवनक लेल विद्युत आपूर्ति कएल जाएत। छह प्रखंडक पावर सब स्टेशनक अन्तर्गत कृषि काजक लेल नब फीडरकें निकालबाक काज आरंभ भेल अछि।

    शुरूमे अहि सुविधाक लाभ छह प्रखंडक किसानकें भेटत। अहिमे चौसा, गम्हरिया, ग्वालपाड़ा, शंकरपुर, सिहेश्वर एवं उदाकिशुनगंज शामिल अछि। अहि सब छह पावर सब स्टेशन सं चारि टा नब फीडर निकालल जा रहल अछि। जे, सीधा किसानक खेत तक जाएत। अहि फीडर सं किसान मात्र खेतक पटवनकें काज कए सकैत अछि।

    अहि फीडर सं घरेलू बिजली जरेबाक कनेक्शन नहि देल जाएत। घरेलू कनेक्शनक लेल अलग सं बिजली लाईन उपलब्ध अछि। विद्युत विभागक दिस सं निकालल जा रहल नब फीडर सं मात्र कृषि संबंधी काज कएल जा सकत।