धूम-धाम सं संपन्न भेल मां’क महाअष्टमी-नवमीक पूजा

    0
    664

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजित कुमार झाः मिथिला सहित संपूर्ण देश में मां भगवतीक महागौरी आ सिद्धदात्रीक पूजा हर्षोलाषक संग संपन्न भेल। जगह-जगह भगवतीक मंदिर पर भोर सं भक्तक अपार भीड़ जुटय लागल छल। चुकि अष्टमी आ नवमी दुनु एके दिन हेवाक कारणें मैयाक मंदिर मे माता-बहिन सबहक खोइछ भरवाक लेल सेहो विभिन्न मंदिर में भारी संख्या में जुटानी देखल गेल। संगहि मैयाक निमीते महाअष्टमीक कुमारी भोजनक कार्यक्रम सेहो भिनसरे सं शुरू भय गेल छल। दुपहर बाद जाहि ठाम छागदान होइत अछि ओहिठाम बलिप्रदानक भेल आ जाहि ठाम बलिप्रदानक प्रथा नहि अछि ओहिठाम दिन भरि भक्त तांता लागत रहल। बुधदिन मैयाक नेत्रदानक बाद मैयाक साकार रूप में पूजा शुरू भेल छल जाहिक बाद बुधदिन राति अष्टमी परवाक कारणें मैयाक महानिशा पूजा सेहो तांत्रिकी आ वैदिकी रूप सं संपन्न भेल। बृहस्पितिदिन सांझ तक मैयाक चरण कमल में भक्त लोकनिक हुजुम सैकड़ोक संख्या में आबैत देखल गेल।

    दरअसल शुक्रदिन मैया पूजाक अंतिम दिन अर्थात यात्रा छन्हि ताहि लेल भक्त लोकनि में पूजा पंडाल मे जा मैयाक एक बेर दर्शन करवाक लेल भक्त आतुरू देखल गेलथि। मिथिलाक समस्त प्रसिद्ध मैयाक मंदिर जेना उच्चैठ, नवादा, ठाढ़ी, राजेश्वरी, कोईलख, मैलाम, मंगरौनी, महरैल, सहित ठाम-ठाम भगवतीक मंदिर पर भक्त उपस्थिति मनोरम लागि रहल छल। मैया पूजाक अंतिम दिन हेवाक कारणें मेला-ठेलाक दृश्य सेहो देखैय बला छल। आठ दिन सं मैयाक पूजा में लीन संपूर्ण मिथिला सह देशवासी लोकनि अपन तन-मन सं मैयाक अराधना कैलनि आ मैया सं सब कें खुश आ धन-धान्य सं परिपूर्ण करवाक कामनाक संग अपन गोहाइर मैयाक ओहिठाम लगौलनि।