पेट्रोलक बदले रुपैया मंगला पर चलल गोली, सेल्समैन घायल

    0
    329

    सीवान, मिथिला मिरर: बिहार के सीवान मे शुक्रदिन एक बेर फेर सं बेख़ौफ़ अपराधीक तांडव देखबाक लेल भेटल। घटना सीवान के गुठनी थाना क्षेत्रक बकुलरी गामक अछि। शुक्रदिन अपराधी पेट्रोल पंप पर सेल्समैन हरेन्द्र यादव के गोली मारि के रूपया स भरल बैग लूटि कय आराम स फरार भय गेल।

    बकुलरी गाम मे जाहि पंप पर अहि लूटक वारदात भेल अछि ओतय अवैध रूप स पेट्रोलक बिक्री कायल जायत अछि। शुक्रदिन दुपहर मे दू टा मोटरसाईकिल पर सवार चारि गोटे पम्प पर पहुंचल आ मोटरसाइकिल मे तेल भरलक।

    तेल भरलाक बाद सेल्समैन जहन रुपैया मंगलक त मोटरसाइकिल सवार गोली चला देलक आ रुपैया सं भरल बैग लय क भागि जेल। गोली लगला सं घायल सेल्समैन के सीवान सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। फिलहाल पुलिस मामलाक जांच-पड़ताल मे जुटि गेल अछि।