नदी मे डूबला सं तीन टा लड़की के मौत

    0
    262

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे पटना जिला के गौरीचक थाना क्षेत्र मे तीन टा लड़की के दरधा नदी मे डूबला स मौत भय गेल। पुलिस सूत्रके अनुसार सतौली बुजुर्ग गाम के छह टा लड़की शौच के बाद दरधा नदी के कचहेर पर तेज धार के चपेट मे आबि गेल।

    घटना मे अंजली कुमारी (12), रुबी कुमारी (14) आ राजामुनी (13) के डूबला स मौत भय गेल जहन कि तीन टा लड़की हेल क पानि स बाहर निकलि गेल। सूत्रक अनुसार स्थानीय गोताखोर के मददि सं लहास के नदी स निकालल गेल आ पोस्टमार्टम के लेल नालंदा मेडिकल कॉलेज अस्पताल पठा देल गेल।