मुजफ्फरपुर मे दू गोट सड़क हादसा, 11 गोटेक मौत

    0
    270

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर जिला शुक्रदिन लगातार दू टा हादसाक गवाह बनल। दू टा अलग-अलग सड़क हादसा मे 11 गोटेक मौत भय गेल। पहिल दुर्घटना मुजफ्फरपुर-मोतिहारी मुख्य मार्ग पर भेल जतय एकटा ट्रैक्टर तीन गोट मोटरसाइकिल सवार के कुचलि देलक, जाहि मे तीनूक मौत भय गेल। दुपहर बाद दोसर घटना जिलाक अहियापुर इलाका मे भेल जतय ऑटो-ट्रकक टक्कर मे आठ गोटेक मौत भय गेल। घटना मे चारि गोटे गंभीर रुप सं घायल भय गेल अछि। जकर इलाज एसकेएमसीएच मे चलि रहल अछि।

    घटना अहियापुर थानाक भीखनपुर के समीप एन एच-77 पर घटल अछि। घटनाक लेल पुलिस के जिम्मेवार बताबैत लोक जमिकय बवाल केलक। मौका पर पहुंचल दू टा एम्बुलेंस आ दू टा रिकवरी वैन के सेहो आक्रोशित भीड़ निशाना बनेलक। एम्बुलेंस चालक गाड़ी लय भागि गेल। पुलिसक संग सेहो भीड़क हाथापायी भेल। आक्रोशित लोक लहास के सड़क पर राखिकय मुजफ्फरपुर सीतामढी एन एच-77 के जाम कय देलक।

    प्रत्यक्षदर्शि के अनुसार ट्रक सीतामढी स मुजफ्फरपुर जा रहल छल। जकरा पुलिसक बोलेरो गाड़ी खदेड़ रहल छल। बोलेरो के ओवरटेक करबाक दौरान ट्रक सामने स आबि रहल ऑटो के टक्कर मारलक। ऑटो के घसीटैत ट्रक सड़क कात मे खसि पड़ल।

    मौका पर पहुंचल पुलिस आ प्रसाशन के लोक मृतक आ घायल के विषय मे जानकारी देबा सं साफ-साफ इनकार कय देलक। टक्कर एतेक जबर्दस्त छल जे, ऑटो पर सवार चारि गोटे के मौका पर मौत भय गेल जहन कि चारि गोटे इलाजक दौरान अस्पताल मे दम तोड़ि देलक।