पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे राजधानी पटना के प्रतिष्ठित पटना मेडिकल कॉलेज अस्पताल (पीएमसीएच) के अधीक्षक डा. लखीन्द्र प्रसाद सं अपराधी 50 लाख रुपैयाक रंगदारी के मांग केलक अछि, संगहि नहि ढेला पर जान सं मारबाक धमकी देलक अछि।
पुलिस सूत्रक अनुसार राजधानी के राजीव नगर थाना क्षेत्रक खजपुरा मोहल्ला निवासी डा. प्रसाद अहि संबंध मे सोमदिन राति एकटा प्राथमिकी दर्ज कारौलनि अछि। दर्ज प्राथमिकी मे कहल गेल अछि जे, सोमदिन प्रसाद के मोबाइल पर कोनो अपराधी हुनका सं 50 लाख रुपैयाक मांग केलक अछि आ नहि ढेला पर जान सं मारबाक धमकी देलक। थानाध्यक्ष रमाकांत तिवारी कहलनि जे, दिन के 10:30 बजे फोन एबाक बात कहल गेल अछि।
ओतहि पटना पुलिस मामलाक पुष्टि करैत कहलक अछि जे, बेउर जेल मे बंद कैदी सोनू डा.लखीन्द्र प्रसाद सं फोन पर रंगदारीक रुपैया मंगलक अछि।




