मधुबनीमे हड़ताली शिक्षकक धरना-प्रदर्शन

    0
    383

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघ प्रखंड इकाई बेनीपट्टी द्वारा संघक आह्वान पर समान काजक समान वेतन लागू करबाक मांगकें लए शिक्षक सब बीआरसी भवनके समक्ष मुख्य गेट पर धरना प्रदर्शन केलनि। ओतहि सरकारक खिलाफ जमिकय नारेबाजी कएल गेल। मौका पर जिला उपाध्यक्ष राकेश कुमार चौधरी, कार्यकारी अध्यक्ष मो. मकसूद आलम एवं अनिल साफी कहलनि जे, राज्य संघक आह्वान पर प्रखंडके सब विद्यालयमे ताला ता धरि लागल रहत, जा धरि सरकार समान काजक समान वेतन लागू करबाक घोषणा नहि करात।

    अहि अवसर पर राजकुमार सुमन, संतोष झा, राधारमण साह, रंधीर कुमार, आलोक कुमार चौधरी, अमिताभ कुमार, देवचंद्र साफी, बटोही राय, हरिनाथ नायक, दिलीप कुमार ठाकुर, मो. कलीमुल्लाह, गायत्री मिश्रा, अविनाश यादव, रामकिशोर ठाकुर, प्रणव कुमार, श्याम कुमार मंडल, मो. रीजवान, रंजीत साह, मो. शादिक हुसैल, रामाशीष ठाकुर, अर्जुन पासवान, शंकर कुमार राय, सोगारथ पंडित, संतोष झा, नीतीश कुमार कामत, दिगंबर चंद्र ठाकुर, रोहित कुमार, संतोष सिंह, महेश्वर यादव, मो. आरिज, किशोरी दास सहित बहुतो शिक्षक अपन विचार प्रकट केलनि।