पिंडदानक लेल सजि-धजि कय तैयार अछि ‘विष्णुनगरी’ गया

    0
    315

    गया, मिथिला मिरर: पितृपक्ष मे पितरक मोक्ष के कामनाक संग बिहारक गया आबय बला पिंडदानी के लेल ‘विष्णुनगरी’ गया सजि-धजि कय तैयार भय गेल अछि। अहि साल पितृपक्ष 15 सितंबर स शुरू भय रहल अछि। पूर्वज के पिंडदान करबाक लेल आबय बला देश-दुनिया के पिंडदानी के एतय इंतजार भय रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार बहुतो पिंडदानी एतय पहुंच गेल छथि। प्रशासन और गयापाल पंडा समाज के द्वारा तीर्थ नगरी गया मे आबय बला लोक के रहबाक व्यवस्था कायल गेल अछि। जहन कि धर्मशाला, होटल, निजी आवास पिंडदानी स भरय लागल अछि।

    भगवान विष्णु के अहि नगरी ‘मोक्ष धाम’ गया पिंडदानक लेल देश-विदेश स आबय बला तीर्थ यात्री के लेल पूरा तैयार अछि। गया जिला के एकटा अधिकारी के मुताबिक, अहि वर्ष पितृपक्ष के मौका पर एतय पांच लाख स अधिक श्रद्धालु के एबाक संभावना अछि।