पीएचसी मे नहि भेट रहल मरीज के सुविधा, फर्श पर होइत अछि ऑपरेशन

    0
    287

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: स्वास्थ्य केन्द्र बायसी’क मरीज असुविधा सं परेशान अछि। आई-कैल्ह एतय बंध्याकरणक लेल मरीजक काफी भीड़ रहैत अछि। आपरेशन के बाद रोगी के फर्श पर लेटा देल जाइत अछि। रोगीक वार्ड के सामने बरामदा, रैन बसेरा, प्रभारी निवासक बरामदाक फर्श पर आपरेशनक बाद लेटा कय इलाज कायल जाइत अछि।

    वार्ड मे सब दिन दर्जन भरि स अधिक प्रसव पीड़िताक भर्ती कराओल जाइत अछि। अहि वार्ड मे गंदगीक अंबार रहैत अछि। वार्ड स सटल शौचालयक टंकी फाटि जेबाक कारण पानि पसरि जाइत अछि। पर्याप्त इजोतक सुविधा नहि अछि। रोगी के प्रत्येक दिन भोजन मुहैया नहि होइत अछि। प्रसवक लेल भर्ती मरीज के दोहनक शिकार होबय पड़ि रहल अछि।

    पीएचसी प्रभारी डा. शमशाद आलम रोगी के फर्श पर इलाज करबाक संबंध मे कहलनि जे, एतय केवल छह टा बेड अछि। मरीजक लेल कोनो कमरा नहि अछि जतय आपरेशनक बाद मरीज के राखय जाय। जाहि कारण बरामदा या अस्पतालक अन्य जगह फर्श पर इलाज करय पड़ैत अछि।

    ओ कहलनि जे, आउटसोर्सिंग सुविधा चरमरा चुकल अछि। कहियो कभार मरीजक भोजन भेटैत अछि। साफ सफाईक स्थिति सेहो दिन प्रतिदिन बदतर भय रहल अछि।