मार्चक पहिल सप्ताहमे भ’ सकैत अछि लोकसभा चुनावक घोषणा

0
377

दिल्ली, मिथिला मिरर : लोकसभाक बजट सत्र खत्म भ’ गेल अछि। अंतरिम बजट सेहो पारित भ’ चुकल अछि। देशमे चुनावी हलचल बढ़ी गेल अछि। तमाम राजनीतिक दल अपना अपना हिसाबे चुनावी तैयारी क’ रहल छथि। ओना अंतिम छह महिनामे देश चुनावी मूडमे रहैत अछि। एहनमे सभ राजनीतिक दलक नजरि चुनाव आयोग पर टिकल रहैत अछि। लोकसभा चुनावक बिगुल मार्चक पहिल सप्ताहमे बाजी सकैत अछि। एहि संबंधमे इकॉनोमिक टाइम्स अपन सूत्रक हवालेसँ ई जानकारी साझा केलक अछि जे चुनाव आयोग छह मार्चक बाद कोनो दिन चुनाव तिथिक घोषणा क’ सकैत अछि। गौरतलब अछि जे चुनावक तिथि घोषित होयाबासँ पहिने प्रधानमंत्री कैबिनेट संग मीटिंग करताह। संगहि ओ चीफ सेक्रेटरीकेँ संग सेहो बैठक करताह। खबरि अछि जे चुनाव आयोग सभ राज्यसँ हर हालमे 28 फरवरी तक तमाम प्रशासनिक तैयारी करवा लेल कहलनि अछि। जाहिसँ ई अनुमान लगाओल जा रहल अछि जे मार्चक पहिल सप्ताहमे चुनावक तिथिक घोषणा भ’ सकैत अछि। आब देखबा केँ अछि जे चुनाव आयोग कहिया धरि चुनावी बिगुल बजाओत।