मिथिला आंदोलनक अग्रणी चेहरा ‘वैद्यनाथ चौधरी बैजू’ आईसीयूमे भर्ती

    0
    549

    दरभंगा,मिथिला मिरर-मणिकांत झाः मैथिली आंदोलनक अग्रणी नेता आ विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू पाचन तंत्र मे उत्पन्न गड़बड़ीक कारणे अस्वस्थ भय दरभंगाक आर बी मेमोरियल अस्पतालक आई सी यू मे भर्ती छथि।

    दरभंगा मेडिकल कालेज अस्पतालक वरीष्ठ चिकित्सक डा सी एम झाक अनुसार बैजू पेन्क्रिटाइटिस सँ ग्रसित छथि। डाॅक्टरक गहन देख-रेखमे बैजू बाबूक समुचित इलाज भए रहल छन्हि आ हुनकर हालातमे थोड़े बहुत सुधार सेहो देखना जा रहलनि अछि मुदा डाॅक्टरक मानी त हुनका पूर्ण स्वास्थ्य हेवामे किछु समय लागत।