यज्ञ स पहिने निकालल गेल भव्य कलशयात्रा

    0
    317

    सुपौल,मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगत/शिवेश झा: सुपौलकें छातापुर प्रखंड के सुखानगर पंचायतक सुकृतनगर जयनगरा मे रविदिन शिवलिंग स्थापनाक लेल आयोजित कार्यक्रम स पहिनहि एकटा विशाल कलश यात्राक आयोजन कायल गेल। गोसपुर वास्तवक आचार्य पंडित धर्मेंद्र नाथ मिश्रक नेतृत्वमे आयोजित अहि कलशयात्रामे 251 गोट कुमारि कन्या भाग लेलनि। कलशयात्र मे शामिल कुमारि कन्या कलशमे जल भरलाक उपरांत शिव केर जयकारा लगबैत विभिन्न मार्ग पर भ्रमण कयलनि। भ्रमणक दौड़ान मंत्रोच्चारण तथा शिवजयघोष स समुच्चा वातावरण भक्तिमय बनल रहल।
    कलशयात्रा के यज्ञस्थल पर पहुँचलाक उपरांत विद्वतजन मंत्रोच्चारणक संग चारि दिवसीय पोखैर यज्ञक शुभारम्भ कयलनि, जाहिमे मुख्य यजमान दुर्गानन्द झा, पत्नी शांति देविक संग उपस्थित छलाह। कार्यक्रम स पूर्व दुर्गानन्द झा मंत्रोच्चारणक बीच देवी प्रतिमा तथा शिवलिंग पूजन कयलनि। यज्ञक सफल आयोजनक लेल पंडित शचिदनंद मिश्र, पंडित जीवानन्द झा आदि ग्रामीण तत्परता स यज्ञस्थल पर उपस्थित छलाह।