मधुबनी मे पेट्रोल छिट कय घर मे आगि लगेला सं दू टा नाबालिग झरकल

    0
    280

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के हरलाखी थाना क्षेत्रक करूणा गाम मे मंगलदिन राति पेट्रोल छिटि कय एकटा घर मे आगि लगा देल गेल।  जाहि मे दू गोटे जरिकय घायल भय गेल। घायल करुणा गाम निवासी मो. आसीन नदाफक 12 वर्षीय पुत्र सुलेमान मंसुरी तथा 14 वर्षीय दोसर पुत्र सद्दाम मंसुरी बताओल जा रहल अछि।

    घायलक मां शकीला खातुन द्वारा पुलिस के देल गेल बयान मे कहलनि जे, मंगलदिन राति मे हम एकटा घर मे दुनू बेटाक संग सुतल छलहुँ। ताहि दौरान गामक पुलकित साह तथा जयकिशोर साह समेत दू टा अन्य महिला पेट्रोलक डिब्बा फेंक कय आगि लगा क भागि गेल।

    घायलक आनन फानन मे पीएचसी आनल गेल। सुचना भेटला पर हरलाखी थाना एसआई हनुमान चौधरी पीएचसी पहुंचकय घायल तथा माँ’क बयान लेलनि। एसआई चौधरी कहलनि जे, बयान के आधार पर मामलाक जांच कायल जा रहल अछि।