सड़क निर्माण मे अनियमितता’क लय ग्रामीणक प्रदर्शन

    0
    322

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: ग्रामीण कार्य विभाग आरडब्ल्यूडी बिहार कोसी बेसिन विकास परियोजनाक तहत सम्पोषित 358.54 लाख रुपैया सं बनय वला सड़क मे अनियमितताक लय ग्रामीण प्रदर्शन केलनि। सड़क प्रखंडक बजराहा बाजार सं गौछी डीह धरि लगभग चारि किलोमीटर तक बनि रहल अछि।

    ग्रामीण विनोद कुमार, पंकज कुमार, लक्ष्मी राय, विलक्षण चौधरी, विनोद शर्मा, प्रभुनाथ चौधरी, दु:खा शर्मा, अर्जुन राय, वकील राय सहित बहुतो ग्रामीण रोष व्यक्त करैत प्रदर्शन केलनि। ग्रामीण कहलनि जे, सड़क निर्माण मे काफी अनियमितता भय रहल अछि। कोरचक्का टोल आ गौंछी डीहक बीच जे पुलियाक निर्माण कायल जा रहल अछि ओहि मे तीन नंबरक ईटाक उपयोग कायल जा रहल अछि।

    जिला पार्षद सदस्या रेखा देवी कहलनि जे, कम्पनी द्वारा सड़क निर्माण कार्य मे भारी अनियमितता बरतबाक बात सामने आयल अछि। वरीय पदाधिकारी स अहि सड़क निर्माण मे भय रहल अनियमितताक जांच करेबाक मांग कायल गेल अछि।