डीएमसीएचमे नै भ’ रहल अछि यूरिन जाँच

0
429

दरभंगा, मिथिला मिरर : डीएमसीएचक धोबीघाट स्थित क्लीनिकल पैथोलॉजी जाँच घरमे 28 अगस्त मंगलदिनसँ रोगीक यूरिन जाँच नै भ’ पाबि रहल अछि। विभागीय आंकड़ाके मुताबिक करीब दू सौ मरीज प्रतिदिन यूरिन जाँच करेबाक लेल एहि जाँच घरमे अबैत छथि। डीएमसीएच अबै बला अमूमन सभ मरीजकेँ डॉक्टर पेशाव जाँच करेबाक लेल जरूर कहैत छथि। जाँच नहि भेलासँ एहि सेंटर पर अफरा-तफरीक स्थिति उत्पन्न हेबाक संभावना बनि  रहल अछि। जानकारीकेँ मुताबिक विभागमे यूरिन स्ट्रीप खत्म भ’ गेल अछि। .सोमदिन कुनो तरहें मरीजक जाँच भेल छल मुदा स्ट्रिपक आपूर्ति नहि भेला पर मंगलदिनसँ ई बेसिक जाँच बन्द भ’ जायत। अस्पताल प्रशासन संबंधित विभागकेँ पहिले चिट्ठी भेजने छल मुदा तकर बावजूद विभाग स्ट्रीप मुहैया नहि करेलक। जाहि कारणसँ ई समस्या उत्पन्न भ’ गेल अछि। पैथोलॉजी विभागक हालत ई अछि जे मरीजक लेल शौचालय तककेँ व्यवस्था नहि अछि। एहि कारण मरीज सभ पेशाव आ शौचक सेंपल देबाक लेल लाज तियागि देबालक कातमे जा सैंपल दैत छथि। एतबे नहि जाँचक बाद रिपोर्ट हाथसँ लिख देल जाइत अछि। हालांकि विभागमे एकटा कंप्यूटर ऑपरेटर अछि, बावजूद अखनि तक कम्प्यूटराइज्ड रिपोर्ट नहि भेट पाबि रहल अछि। विभागमे सैंपल जाँचमे लंबा समय लगैत अछि। एतय मात्र दूटा छोट सेन्ट्रीफयूज मशीन अछि जाहिमे मात्र चारिटा टयूब होइत अछि तैं एकबेरमे मात्र आठ मरीजक सैंपलकेँ जाँच भ’ पबैत अछि। हलाँकि विभाग डीएमसीएच अधीक्षककेँ चिट्ठी लिखि बड़का सेन्ट्रीफयूज मशीनक माँग केलक अछि।