एेतिहासिक होयत दरभंगाक 140’म स्थापना दिवस

    0
    298
    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा जिलाक स्थापना के 140 वर्ष एक जनवरी कय पूरा भय जायत। स्थापना दिवस समारोहक तैयारी जोर पकड़ि लेने अछि। सोमदिन डीडीसी विवेकानंद झा’क अध्यक्षता मे भेल बैसक मे बताओल गेल कि दू दिवसीय तैयारीक लय 14 कोषांग बनाओल गेल अछि।
    डीआरडीए निदेशक नरेश झा, विशेष कार्य पदाधिकारी रविंद्र कुमार दिवाकर, भू-अर्जन पदाधिकारी रमेश चंद्र चौधरी, श्रम अधीक्षक जयंत कुमार, कृषि पदाधिकारी समीर कुमार, डीपीओ रजनीश प्रवीण, नगर आयुक्त नागेंद्र कुमार सिंह, वरीय उपसमाहर्ता जेड हसन, पंचायती राज पदाधिकारी शत्रुघ्न कामति एवं वरीय समाहर्ता शंकर शरण ओमी, कन्हैया कुमार सहित बहुतो पदाधिकारी के कोषांगक नोडल पदाधिकारी बनाओल गेल अछि।
    कार्यक्रमक तैयारीक लेल 30 दिसंबर क जिलाक सब विद्यालय परिसर एवं आंगनबाड़ी केंद्र मे श्रम दानक माध्यम सं सफाई कार्यक्रम आयोजित कायल जायत।
    मुख्य समारोह साढ़े दस बजे स आरंभ होयत। अपराह्न तीन बजे सं सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुरुआत होयत। सब पदाधिकारी भोर मे अप्पन कार्यालय एवं परिसरक सफाई करताह। एक जनवरी कय  स्थापना दिवस केर अवसर पर स्मारिकाक विमोचन कायल जायत एवं संध्या मे समाहरणालय एवं अन्य जगह पर मोमबत्ती प्रज्जवलित कायल जायत। बैसक मे कोषांग पदाधिकारी सहित बैंक प्रबंधक मौजूद छलह।