वकील’क बहिष्कारकें बाद सीतामढ़ीमे नहि चलल अदालत

    0
    269

    सीतमाढ़ी, मिथिला मिरर: अधिवक्ता मधुशंकर सिंह’क गिरफ्तारी सं तमसाएल जिलाकेँ वकील सब बुधदिन स्वयंकें न्यायिक काज सं अलग रखलक। अधिवक्ता लिपिक संघ सेहो काजक बहिष्कारकें समर्थन करैत न्यायिक काज नहि केलक। सब वकील एवं लिपिक द्वारा काज नहि करबा सं पूरा दिन न्यायिक कार्यवाही ठप रहल। पूरा दिन वकील शांतिपूर्ण रूप सं रोष प्रकट करैत प्रदर्शन केलनि। हालांकि सब न्यायिक पदाधिकारी व कर्मी न्यायालयमे उपस्थित छल।

    जिलाकेँ सब वकीलक शांतिपूर्ण रोष प्रदर्शन सं न्यायालय परिसरक माहौल काफी गर्म रहल। मौका पर मौजूद अधिवक्ता अमर मिश्रा, संदीप कुमार, शोभा कुमारी, संजय कुमार, मोहन झा, सुरेश सिंह, मुकेश तिवारी, नैयर अंसारी, नवीन सिंह समेत अन्य बातचीतमे कहलनि जे, यदि शीघ्र अधिवक्ताकें न्याय नहि भेटल त चरणबद्ध आंदोलन कएल जाएत। ओतहि संघक पदाधिकारी कहलनि जे, पूरा घटनाक्रम सं बार कौंसिल ऑफ इंडिया व स्टेट बार कौंसिलकें अवगत कराओल गेल।