दरभंगामे हड़ताली शिक्षकक प्रदर्शन जारी

    0
    423

    दरभंगा, मिथिला मिरर: समान काजक बदले समान वेतनक मांगकें लए नियोजित शिक्षकक हड़ताल 11’म दिन सेहो जारी रहल। राज्य संघकें आह्वान पर प्रखंड इकाईकें शिक्षक जिला उपाध्यक्ष प्रशांत कुमार झा, प्रखंड कार्यकारी अध्यक्ष अजय कुमार मिश्र आ टीईटी शिक्षक चन्द्रभानु सिंहक नेतृत्वमे जत्था बनाकए क्षेत्रक करीब आधा दर्जन सं अघिक स्कूलमे मोटरसाइकिल सं पहुंचकए प्रदर्शन केलनि। अहि दौरान शिक्षक व शिक्षिका मांगक समर्थन आ बिहार सरकारके खिलाफ नारेबाजी केलनि।

    अहि क्रममे जत्थामे शामिल शिक्षक व शिक्षिका कर्जापट्टी, माघोपट्टी, बरिऔल आदि पंचायतक स्कूलमे पहुंचकए प्रदर्शन करैत प्रधानाचार्य सं स्कूलकें बंद करबाक आग्रह केलनि। अहि दौरान जिला उपाध्यक्ष प्रशांत कुमार झा शिक्षक व शिक्षिका सं एकजुटता बनेबाक अपील करैत कहलनि जे, जा धरि मांगक पूर्ति नहि होएत टा धरि आंदोलन जारी रहत।

    जत्थामे मो.इकबाल हुसैन, बजरंग मांझी, मो.अली, घनश्याम यादव, अमरेन्द्र कुमार झा, अनील कुमार पासवान, मुकेश कुमार रंजन, रमण सहनी, मो.अलाउद्दीन, राकेश कुमार, सीताराम दास समेत बहुतो शिक्षक शामिल छल।