भाजपा’क विधान पार्षद लालबाबूकें निलंबन पर विधान परिषदमे हंगामा

    0
    292

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधान परिषदमे मंत्री जलील मस्तान सं उत्तरकें कॉपी छीनबाक कोशिश करय वला भाजपाक एमएलसी लालबाबूकें सदन सं एक दिनक लेल निलंबित कय देल गेल। सभापति अवधेश नारायण सिंह कांग्रेसकें दिलीप चौधरीकें निलंबनक प्रस्ताव आ जदयू, राजदके समर्थनक बाद ई फैसला लेलनि। फैसला लेबा सं पहिने सभापति सर्वदलीय बैसक केलनि आ मामलाकें निपटाराक प्रयास केलनि, मुदा सत्ता पक्षक सदस्य नहि मानलक।

    बीजेपीके विरोधक बावजूद सभापति एक दिनक लेल बीजेपीके विधान पार्षद लालबाबूकें निलंबित कय देलनि। दोसर सत्रमे बीजेपी सदनमें निलंबन वापसीक प्रस्ताव राखलक। अहि प्रस्तावकें रखलाक बाद कांग्रेसक एमएलसी दिलीप चौधरी निलंबनके अपन प्रस्ताव वापस लए लेलनि जाहि सं लालबाबू’क निलंबन वापस भेल। मुदा अहि बीच सदनमे खूब हंगामा भेल।