बिहार उत्क्रमित विद्यालयक नियम मे बदलाव

    0
    304

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार उत्क्रमित विद्यालयक नियम मे बदलाव करय जा रहल अछि। आब मध्य विद्यालय, उच्च विद्यालय तथा प्लस टू विद्यालयक अलग-अलग प्रधानाध्यापक एवं प्राचार्य होयत।अहि बातक निर्णय शिक्षा मंत्री अशोक चौधरीक अध्यक्षता मे आयोजित बैसार मे लेल गेल। शिक्षा विभागक विभिन्न निदेशालयक बैसक मे अशोक चौधरी कहलनि जे, एखन मध्य विद्यालय स उच्च विद्यालय मे अपग्रेड होबय बला विद्यालय सबहक कार्यभार मध्य विद्यालयक प्रधानाध्यापक लग रहत।

    शिक्षा मंत्री कहलनि जे, एखन उच्च विद्यालय स प्लस टू विद्यालय मे अपग्रेड होइ बला विद्यालय सबहक प्रधानाध्यापक उच्च विद्यालयक प्रधानाध्यापक के बना देल जाइत अछि। मुदा आब अहि नियम तथा परंपरा के समाप्त कायल जायत। आब मध्य, उच्च तथा प्लस टू विद्यालयक के अलग-अलग
    प्रधानाध्यापक बनाओल जायत।