जदयू जारी कएलक सभ 115 उम्मीदवारक सूची, देखू पूरा लिस्ट-

0
2068

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे वृहस्पतिदिन पहिल चरणक चुनाव केँ नामांकनक अंतिम दिन अछि। हरेक राजनीतिक दल अपन अपन उम्मीदवारक नामक घोषणा क’ रहल अछि। राजग गठबंधनक प्रमुख घटक दल जदयू सेहो अपन उम्मीदवारक नामक घोषणा क’ देलक अछि। बतादी जे बिहार मे एनडीए मे भेल सीट बँटवारा मे जदयू केँ खाता मे 122 सीट भेटल अछि। जदयू अपना हिस्सा मे सँ 7 सीट हम केँ देलक अछि। जदयू अपन सभटा सीट पर उम्मीदवारक नाम कें घोषणा क’ देलक। जदयू द्वारा जारी लिस्ट केँ मुताबिक मुजफ्फरपुर बालिका गृहकांडक आरोपी पूर्व मंत्री मंजू वर्मा केँ सेहो चेरिया बरियारपुर सँ टिकट देलक अछि। जनतब दी जे जारी लिस्ट मे सँ कतेको नेता नामांकन सेहो क’ चुकल अछि। जदयूक प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह समेत अन्य नेताक उपस्थिति मे नामक घोषणा भेल। हालांकि टिकट बँटवारा केँ समय किछु नाम केँ ल’ हँगामा सेहो भेल।

प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह लिस्ट जारी करैत कहलनि जे पार्टी द्वारा जारी कएल लिस्ट मे सभ वर्गक ध्यान राखल गेल अछि। एतबे नहि महिला प्रतिनिधित्वक संख्या सेहो बढ़ाओल गेल अछि।