बैंकक लाइन मे ठाढ़ बुजुर्गक दम घुटबाक कारने मौत

    0
    282

    सुपौल, मिथिला मिरर: देश मे नोटबंदी सं होबय वला मौतक सिलसिला थम्हबाक नाम नहि लय रहल अछि। किछु दिन मे एखन धरि 50 सं अधिक लोकक मौत भय चुकल अछि। ताजा मामला बिहारक सुपौल के अछि, जतय बैंकक लाइन मे ठाढ़ एकटा बुजुर्गक दम घुटलाक कारने मौत भय गेल।

    बताओल जा रहल अछि जे, बुजुर्ग अप्पन भतीजीक विवाह के लेल रुपैया निकालबाक लेल बैंक गेल छल। जतय बुजुर्गक मौत भय गेल। दिन भरि कतार मे ठाढ़ रहलाक कारने बुजुर्गक दम घुटय सं मौत भय गेल। घटना मरौना थाना क्षेत्रक सेंट्रल बैंक बेलही के अछि।

    घटना के बाद स मृतकक परिवार मे कोहराम मचल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कालाधन आ भ्रष्टाचार पर लगाम लगेबाक कवायद मे एकटा पैघ घोषणा करैत 500 आ 1000 रुपैयाक नोट के बैन कय देलनि, जाहि के बाद स पुरान नोट बदलबाक लेल बैंकक आगू लंबा कतार लागल अछि।