चलैत ट्रेन स यात्री के फेकबाक कोशिश केलनि टीटीई

    0
    344

    कटिहार, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहार मे टीटीई द्वारा एकटा यात्री के चलैत ट्रेन स धक्का देबाक बात प्रकाश मे आयल अछि। घटना मे आंशिक रूप स घायल भेल यात्री जीआरपी मे आरोपी टीटीई के खिलाफ मामला दर्ज करौलक अछि।

    टीटीई के तामसक शिकार बनल यात्रीक कसूर मात्र एतबे छल जे, ओ जल्दबाजी मे जनरल बोगीक दरवाजा बंद हेबाक कारने स्लीपर बोगी मे चढ़ि गेल। पीड़ित व्यक्ति नवगछियाक रहय बला छथि जे बंगालक जंगीपुर स नवगछियाक लेल जा रहल छलाह।

    अहि दौरान हाटबाजरा एक्सप्रेस मे सवार हेबाक क्रम मे ओ जनरल बोगी बंद रहबाक कारने स्लीपर कोच मे चल गेल। जाहि से नाराज टीटीई आनंद नामक अहि व्यक्ति के प्रताड़ित केलनि आ चलैत ट्रेन स धक्का दय देलनि। टीटीई के धक्का स आनंद ट्रेनक कॉरिडोर पर खसि पड़ल जाहि स ओकर जान बाँचि गेलई।

    आनंद अहि बाबत कटिहार जीआरपी मे आवेदन दय टीटीई एस. घोष पर मामला दर्ज करौलनि, जीआरपी मामला दर्ज केलाक बाद आगुक कार्रवाई कय रहल अछि।