सुशासन बाबू , ई परिवार मांगि रहल अछि न्याय

    0
    252
    दरअसल आरोप अछि जे गामक राजकुमार राय, अजीत राय आ प्रमोद कुमार राय हुनकर जमीन हड़पय चाहैत छन्हि। पीड़ित कहलनि जे, डेढ़ साल पहिने नापीक रुपैया जमा कराओल गेल छल मुदा आय धरि जमीनक नापी नहि भेल। जकरा बाद दू-तीन बेर प्रखंड मुख्यालय पर अनशन सेहो कायल गेल मुदा आश्वासन के अलावा किछु नहि भेल।

    पीड़ित कहलनि जे, थाकि-हारी कय अहि बेर सोचलहुँ जे, जाहि जमीनक लेल लड़ी रहल छी ओहि जमीन पर प्राण त्यागी देब। शायद तहन लोक के आ सरकार के पता लागत जे बिहार मे कोन सुशासनक सरकार चलि रहल अछि। तहन पता चलत जे, राज्य मे अपराधी, माफिया, दलालक राज अछि या नीतीश बाबूक सुशासन के।