मधुबनी-पोखरौनी पथ पर शाही तुरुपति’क बस दुर्घटनाग्रस्त, दर्जनो घायल

    0
    636

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बुधदिन दुपहरमे मधुबनी-पोखरौनी पथ पर जगतपुर सं आगू टोल टेक्स नाकाकें समीप शाही तिरूपती’क बस उलटला सं दर्जनो लोक घायल भए गेल। सूत्रक अनुसार बस अनियंत्रित भए सड़क सं नीचां उलटि गेल जाहिमे किछु गोटे गम्भीर रूप सं घायल भए गेल अछि।

    ज्ञात हो कि अहि सड़कक निर्माण काज चलि रहल अछि। जाहिमे सब नियमकेँ ताख पर राखैत सड़कक दूनू कातक माईट काटल जा रहल अछि। जाहि सं आये दिन दुर्घटनाक संभावना बनल रहैत अछि।