अखिल भारतीय मिथिला पार्टी’क प्रदेश अध्यक्ष सदरे आलम खानकें निधन

    0
    656

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ‘अखिल भारतीय मिथिला पार्टी’कें प्रदेश अध्यक्ष सदरे आलम खानकें सोमदिन साँझ अकास्मिक निधन भए गेलनि। हुनक पैतृक गाम रामपूरामे अचानक तबीयत खराब भेलाक बाद परिजन दरभंगाकें निजी क्लिनिकमे ईलाजक लेल भर्ती करौने छल, जतय ह्रदय गति रुकलाक कारने हुनकर मौत भए गेलनि।

    अचानक मौतकें अहि खबरि सं समुच्चा मिथला शोकाकुल अछि। दिल्ली स्थित प्रसिद्ध सारस अस्पतालकें पूर्व निदेशक सदरे आलम खान सामाजिक व राजनितिक काजमे खूब सक्रीय रहैत छलाह।

    सदरे आलम खान मैथिलीक विकासक लेल सक्रीय नेताकें रूपमे काज करैत छलाह। 2015कें विधानसभा चुनावमे सदरे आलम खान केवटी विधान सभा क्षेत्र सं निर्दलिय चुनाव सेहो लड़लनि। हुनकर अकास्मिक निधन सं मिथिलाकें बहुत पैघ क्षति भेल अछि।