बागमती नदी’क कातमे खाइध सं बरामद भेल शराबक खेप

    0
    290

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जिलामे शराबबंदीक बादो शराब तस्कर नव-नव तरीका सं शराबक तस्करी कय रहल अछि। बुधदिन विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रक बागमती नदीके नारदघाटके समीप जमीनके भीतर खाइधमे 6 कार्टून शराब राखल छल। विश्वविद्यालय थानाध्यक्ष पुलिस बलक संग अहि शराबक़े बरामद केलनि।

    अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि जे, जिलामे विदेशी शराबक संग-संग बंगाल आ हरियाणा निर्मित शराब त बरामद भय चुकल छल, मुदा पहिल बेर छापामारीमे आसाम निर्मित शराब बरामद भेल अछि। ओ कहलनि जे, शराब तस्करक अड्डा बागमती नदीके आस-पास या सुनसान जगह पर बनाओल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार शराब तस्कर औरो बहुत रास तरिका आजमा रहल अछि। कतहु फिनायलके बोतलमे त कतहु सॉफ्ट ड्रिंकके बोतलमे शराब आनल जा रहल अछि।