मधुबनी मे बस उलटला सं दर्जनों यात्री घायल

    0
    470

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहारक मधुबनी जिला मे एनएच 57 पर एकटा दर्दनाक हादसा सामने आयल अछि। शनिदिन भोरे कुहेश के कारण एकटा बस अनियंत्रित भय पलटि गेल। जानकारी के अनुसार बस मे सवार दर्जनो यात्री गम्भीर रूप सं घायल भय गेल छथि।

    स्थानीय लोकक द्वारा घटनाक सुचना फुलपरास थानाक पुलिस के देल गेल। घटनाक सुचना के बाद मौका पर पहुँचल पुलिस घायल यात्री के ईलाजक लेल अस्पताल मे भर्ती करौलक अछि।