समस्तीपुर मे भाजपा के अल्पसंख्यक मोर्चाक कार्यसमिति गठित

    0
    386

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाक सातनपुर चौक स्थित भाजपा कार्यालय परिसर मे बृहस्पति दिन मासुम अंसारीक अध्यक्षता मे पार्टीक अल्पसंख्यक मोर्चाक बैसक भेल। जाहि मे मंडल अध्यक्ष अंसारी अल्पसंख्यकक संगठन मे अधिक लोकक भागीदारी सुनिश्चित करबाक लेल संगठनक विस्तार केलनि।

    अल्पसंख्यक कार्यसमिति सदस्यक एकटा सूची जारी कायल गेल जाहि मे मो. शौकत व मो. असफाक अंसारी के उपाध्यक्ष, मो. सनौअर के महामंत्री तथा मो. साविर के कोषाध्यक्ष बनाओल गेल। जहन कि इरसाद, नजमा बेगम के मंत्री पद देल गेल। संगठन विस्तारक संग अध्यक्ष कार्यसमिति सदस्यक देवखाल चौर मे मेडिकल कॉलेज स्थापनाक लेल जारी संघर्ष के चरणबद्ध चलेबाक संकल्प।

    अहि अवसर पर उपस्थित सब कार्यसमिति सदस्य के माला पहिरा कय सम्मानित कायल गेल। मौका पर जिला उपाध्यक्ष ललन प्रसाद सिंह, मंडल अध्यक्ष प्रमेश कुशवाहा, सोनेलाल बैठा, रविन्द्र प्रसाद मधुकर आदि नेता के अलावा दर्जनो कार्यकर्ता मौजूद छल।