माँछ पकड़बाक लेल भेल विवाद मे दलित के पीट कय हत्या

    0
    331

    सहरसा, मिथिला मिरर: बिहारक सहरसा जिलाक बिहरा थाना अंतर्गत पुरीख गाम मे माँछ मारबाक लेल भेल विवादक दौरान दबंग सब दलित समुदाय के एकटा व्यक्तिक पीट-पीट कय हत्या कय देलक तथा छह अन्य लोक के जख्मी कय देलक अछि।

    पुलिस उपाधीक्षक सुबोध विश्वास के अनुसार मृतकक नाम चानो राम अछि। चानो राम इलाजक दौरान सदर अस्पताल सहरसा मे दम तोड़ि देलक जहन कि छह अन्य जख्मीक इलाज जारी अछि।

    ओ अहि घटनाक पाछु पुरान जमीनी विवाद बतौलनि आ कहलनि जे, अहि सिलसिला मे पुलिस एकटा हमलावर पुरुषोतम सिंह के गिरफ्तार केलक अछि। पूरा मामला मे पुलिस जांच पड़ताल कय रहल अछि आ पुलिस दोषीक खिलाफ कानूनक मुताबिक कार्रवाई करत।