दरभंगा नगर निगम चुनावक अधिसूचना जारी

    0
    354

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान झा: 2017 मे होबय वला दरभंगा नगर निगम केर चुनावक तैयारी शुरू भय गेल अछि। आरक्षण रोस्टर के प्रारूप के राज्य निर्वाचन आयोग स अनुमोदन के बाद जिला निर्वाचन पदाधिकारी सह डीएम डॉ. चंद्रशेखर सिंह अधिसूचना जारी कय देलनि। अहि के बाद नगर निगम प्रशासन अप्पन सूचना पट्ट पर आरक्षण रोस्टर के चिपका देलक।

    चुनाव मे इस्तेमाल होबय वला उपस्कर तथा सामग्री के क्रय करबाक तैयारी शुरू कय देल गेल। चुनावक पूर्ण रूपेण सफल करबाक लेल निर्वाचन विभाग नगर निगम के अधिकारी स समन्वय स्थापित कय कार्य कय रहल अछि।

    नगर विकास विभाग के सहायक निदेशक अरविंद कुमार झा के नोडल पदाधिकारी बनाओल गेल अछि।ओ अहि माह मे दरभंगाक दौरा कय तैयारीक जायजा लेताह। अंगहि नगर निगम के अधिकारी तथा कर्मी के अंग बैसक करताह। अहि दौरान ओ चुनाव कार्य मे देबय वला सहयोग पर टिप्स देताह।