मधुबनी के उपकारा गृह मे महिला कैदी कय रहली छैठ

    0
    496

    मधुबनी, मिथिला मिरर: लोक आस्था एवं सूर्य उपासनाक महापर्व छैठक तैयारी अब ठाम लगभग पूरा भय चुकल अछि। शनिदिन पूर्ण नियम निष्ठाक संग खरनाक संपादन कायल गेल। ओतहि मधुबनी जिलाक झंझारपुर उपकारा मे एकटा महिला कैदी अरड़िया गाम निवासी विमला देवी सेहो छैठ कय रहलीह।

    उपकारा प्रशासन अहि के लेल खास इंतजाम केलक अछि। डीसीएलआर सह उपकारा अधीक्षक उमेश कुमार भारती कहलनि जे, नहाय खाय, खरना, पानी मे ठाढ़ हेबाक सब इंतजाम कायल गेल अछि। पारण के सेहो विशेष इंतजाम कायल गेल अछि। ओ कहलनि जे महिला द्वारा छैठ व्रत केला सं उपकाराक माहौल छठमय भय गेल अछि।