रणक्षेत्र बनल सरकारी कार्यालय, अपनहि मे भिड़लाह सरकारी कर्मचारी

    0
    494

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा इंटरमीडिएट के रजिस्ट्रेशन के यूजर्स आइडी’क लेल सोमदिन जिला शिक्षा कार्यालय के लिपिक आ कुशोथर हाइस्कूल के लिपिक के बीच भेल मारिपीट सं पूरा कार्यालय रणक्षेत्र मे बदलि गेल। आब ओहि मारिपीटक वीडियो सेहो वाइरल भय गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार मिथिला नंद मिश्र के रजिस्ट्रेशन फार्म लेबाक किछु अधिक जल्दबाजी छल। अहि पर बुद्धिनाथ झा झुंझला गेलाह। ओ कुशोथर स्कूल के लिपिक सं प्रधानाध्यापक द्वारा निर्गत प्राधिकार पत्र मांगैत कहलनि जे, या त पत्र देल जाऊ या \प्रधानाध्यापक के स्वं पठा देल जाऊ। बिना पत्र के फार्म नहि भेटत।

    एतबे सुनैत देरी स्कूल के लिपिक ताव मे आबि गेलाह। ओ सहायक के कानूनक पाठ पढबय लगलाह। कार्यालय के अन्य सहायक जहन हुनका बुझेबाक प्रयास केलनि त ओ और अधिक भड़कि गेलाह। दुनू एक दोसरा सं उलझी गेलाह। ओतय मौजूद अन्य कर्मी बहुत मुश्किल सं मामला शांत करबेलनि।