एसएसबी’क जवान गस्ती के दौरान जब्त केलक भारी मात्रा मे शराब

    0
    416

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जिलाक हरलाखी प्रखंड मे एसएसबीक जवान गस्त के दौरान तस्कर सहित 98 बोतल शराब जब्त केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, शराब नपाल स तस्करी कय भारत आनल जा रहल छल। उक्त तस्करक पहिचान उमगांव निवासी दिनेश यादव के रूप मे कायल गेल अछि।

    एम्हर गस्ती दलक नेतृत्व कय रहल अंकुर डेका कहलनि जे, गुप्त सूचनाक आधार पर गस्ती दल छापेमारी केलक जाहि मे 98 बोतल शराब, एकटा मोटरसाइकिल तथा तस्करी कय रहल आरोपी के गिरफ्तार कायल गेल।

    एतय बता दी जे, जहिया सं बिहार मे शराब बंदी लागू भेल अछि, नेपाल स लगातार शराबक तस्करी कायल जा रहल अछि।