दरभंगा नगर विधायक संजय सराबगीक भाई शराब पिबैत गिरफ्तार

    0
    425

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भाजपाक दरभंगा नगर विधायक संजय सरावगी के भाई अजय सरावगी के बृहस्पति दिन शराब पिबैत गिरफ्तार कायल गेल। सूत्रक अनुसार अजय सराबगी अप्पन गाड़ी वेगन आर मे AC ऑन कय किछु लोकक संग शराब पीबि रहल छल। गिरफ्तारी मे अजय के संग दू गोटे के और गिरफ्तार कायल गेल।

    सूत्रक अनुसार पकड़ल गेल लोक मे अजय सराबगी के अलाबा दरभंगा समाहरणालय के विकास शाखाक एकटा क्लर्क पंकज कुमार तथा तेसर रितेश कुमार एलआईसी एजेंट शामिल अछि। गुप्त सूचनाक आधार पर उत्पाद अधीक्षक अजय सराबगीक सहित तीन गोटे के गिरफ्तार केलनि।