फारबिसगंज,अररिया, बेगूसराय, सोनू भगत/रवि रोशन भगत, मिथिला मिरर: पिछला कतेको दिन स बाढ़िक कहर झेल रहल सीमांचल आ उत्तर बिहार मे सोमदिन बाढ़िक पानि किछु हद धरि कम भेल, मुदा कटाव आ बिमारीक समस्या आब लोक के परेशान कय रहल छन्हि। बदबूदार पानिक सरांध आ महामारी स लोकक जिनाय मुश्किल भेल अछि।
हालांकि कटिहार आ पूर्णियाक स्थिति मे एखनहु बेसी सुधार नै कहल जा सकैया। अहि जिला मे काल्हि बाढ़ि मे चारि गोटेक डूबि कय मौत भय गेलनि जाहि स बाढ़ि मे डूबि कय मरय बलाक संख्या 54 भय गेल। बाढ़ि स उत्तर बिहार तथा सीमांचलक फसल बर्बादिक संग कतेको जान-मालक छति भेल। एखनहु कतेको लोक घर छोड़बाक लेल मजबूर छथि। सूत्रक अनुसार 28 लाख लोक एखन धरि अहि बाढ़ि स प्रभावित भेलाह, जहन कि छः लाख लोक विस्थापनक जिनगी जी रहलाह आ तीन लाख लोक शिविर मे एखनहु शरणार्थी बनल छथि।
हालांकि कतेको जिला मे पानिक स्तर कमल अछि जाहि स लोक राहतक सांस लय रहल छथि। अररिया, कटिहार, किशनगंज, सुपौल आ सहरसा मे कोसी तथा गंगा नदीक जलस्तर मे गिरावट आयल अछि, परंतु कटाव एखनहु लोकक समस्या बनल अछि।
अररिया, कटिहार, किशनगंज, सुपौल, दरभंगा सहित किछु जिला मे बाढ़िक पानिक स्तर मे गिरावट आयल अछि, मुदा अहि बाढ़ि स उत्पन्न महामारी लोकक एकटा मुख्य समस्या बनि गेल अछि। एखन धरि स्वास्थ्य विभाग आ नगर परिषद् द्वारा चूना या ब्लीचिंग पावडरक छिड़काव नहि कायल गेल, जाहि स महामारिक खतरा अधिक बढ़बाक आशंका अछि। हालांकि अररिया नगर परिषद् पदाधिकारी भवेश कुमार कहलनि जे, क्षेत्रक लोक मे कोनो संक्रामक बिमारी नहि पसरय ताहि लेल नगर परिषद तटस्थ अछि। ओ कहलनि जे, 30 क्विंटल चूना तथा 15 क्विंटल ब्लीचिंग पावडरक खरीददारी कायल गेल अछि, जकरा प्रभावित क्षेत्र में छिड़काव कायल जायत। ओ कहलनि जे, एकरा अलावा फाॅगिंग करबाक सेहो व्यवस्था कायल जा रहल अछि।