पटना, मिथिला मिरर, स्नेहा झा: सकरी-हसनपुर रेलखंड पर बहुप्रतीक्षित बैगनी हॉल्ट रविदिन सँ अस्तित्व मे आबि गेल। स्थानीय सांसद डॉ गोपाल जी ठाकुर आ समस्तीपुर रेल मंडलक डीआरएम विनय श्रीवास्तव द्वारा हॉल्ट पर हरी झंडी देखा ट्रेनक ठहरावक शुभारंभ कयल गेल। अहि अवसर पर ग्रामीण सभक द्वारा बुलडोजर सँ पुष्प वर्षा क सांसदक भव्य स्वागत कयल गेल। बैगनी हॉल्टक निर्माणक मांग साल 2008 मे रेल मंत्री लालू प्रसादक कार्यकाल सँ कयल जा रहल छल। सालक साल धरणा-प्रदर्शन आ आंदोलनक बाद मोदी सरकार स्थानीय जनताक बहुप्रतिक्षित मांग केँ पूरा कयलक। लोकार्पण कार्यक्रम मे बेनीपुर विधायक डॉ. विनय कुमार चौधरी, स्थानीय जनप्रतिनिधि, महिला, ग्रामीण आ भारी संख्या मे लोक सभ उपस्थित रहथि। एहन भावनात्मक वातावरण देखबा मे आओल कि जखने पहिल ट्रेन रुकल तँ लोकक मुखमंडल पर प्रसन्नता छलकि गेल। अहि हॉल्टक शुरुआत दरभंगाक लेल एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि जाहि सँ आसपास केँ गाम जेना जगदंबा धाम नवादा, जगदीशपुर समेत दर्जनो पंचायतक लोक केँ सीधा फायदा होयत। सांसद द्वारा भविष्य मे नव ट्रेन सभक संचालनक पहल करबाक बात सेहो कहल गेल।