पांच महिना बादो विधानसभा नहि पहुँचल डीएमसीएचकें मशीनक रिपोर्ट

    0
    509

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार विधान सभामे डीएमसीएचकें अल्ट्रासाउंड सहित अन्य मशीनक मामला पांच महीना पूर्व उठाओल गेल छल। अहिपर अस्पताल अधीक्षक सं मशीनक अध्यतन स्थितिक जानकारी मांगल गेल छल। अस्पताल अधीक्षक रेडियोलॉजी विभागक अध्यक्ष सं सब मशीनक विषयमे जानकारी मांगने छहलाह, मुदा विभागाध्यक्ष पांच महिना बादो सब मशीनक जानकारी नहि देलनि अछि। विभागाध्यक्ष मात्र कलर डॉप्लर अल्ट्रासाउंडकें विषयमे जानकरी दए अप्पन पल्ला झाड़ि लेलाह।

    अस्पताल अधीक्षक दू जनवरी 17 कए अहि विभागक चारि गोट उपकरणक विषयमे रिपोर्ट तलब केने छलाह। अहि विषयमे गत आठ सालक रिपोर्ट मांगल गेल। मसलन सब साल कतेक मरीजक जांच भेल। कतेक एक्सरे प्लेटक खपत भेल। वर्ष 2008 सं 2016 धरिक रिपोर्ट देबाक छल।

    अहि चारि मशीनके लॉग बुकक छाया प्रति, मशीनके चालू हेबाक तिथि सं एखन धरि मासिक एवं वार्षिक कतेक मरीजक जांच कतेक मशीन पर कएल गेल छल। अहि मशीनमे डिजिटल एक्सरे, कलर डॉपलर, अल्ट्रासाउंड आ मेमोग्राफी मशीन शामिल अछि।